सुपौल मे भजन-कीर्तनक बीच घुसल बेकाबू कार, पांच गोटेक मृत्यु, एक गंभीर
सुपौल, समदिया पिपरा थाना क्षेत्रक कटैया गोठ चौक पर मंगलक राति झूलन पर्वक अवसर पर बजरंगबली मंदिरक लग भजन-कीर्तन करैत श्रद्धालु सभक बीच एक अनियंत्रित कार घुसि गेल। एहि दुर्घटना मे पांच गोटेंक मृत्यु भए गेल, जखनकि एक व्यक्ति गंभीर रूप सं घायल छथि। घटना बाद…
समस्तीपुर मे डबल मर्डर : चक्कू घोपि कए पति-पत्नीक हत्या
शरीर आ गर्दनि पर भेटल धारदार हथियारक निशान फोटो : एसपीजे समस्तीपुर, समदिया समस्तीपुर मे सोमदिन देर राति घर मे सुतल पति-पत्नीक हत्या कए देल गेल। दुनू पर चाकू सं प्रहार कयल गेल अछि। मंगलदिन भोरे बहुत देर धरि दुनू घर सं बाहर नहि निकललाह। तकर बाद…
दरभंगा मे उच्च शिक्षा आ विधि शिक्षाक होयत कायाकल्प : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
उच्च शिक्षा मंत्री सं भेंट कए सांसद केलनि विस्तार सं चर्चा सांसद उच्च शिक्षा मंत्री कें सम्मानित कए जतौलनि आभार दरभंगा, समदिया दरभंगाक ज्ञान परंपराक प्राचीन गरिमा कें फेर वापस अनबाक लेल केंद्र आ राज्यक एनडीए सरकार द्वारा ठोस पहल शुरू…
ग्रामीण सभ लेल सात दिवसीय मत्स्य पालन प्रशिक्षण कार्यक्रमक समापन
जयनगर, समदिया 48म वाहिनी, सशस्त्र सीमा बल, जयनगर द्वारा नागरिक कल्याण कार्यक्रमक अंतर्गत सीमावर्ती आ जीवंत ग्रामक ग्रामीण सभ कें स्वरोजगार आ आत्मनिर्भरताक दिशा मे आगू बढ़ेबाक उद्देश्य सं सीमा चौकी उसराही मे आयोजित सात दिवसीय मत्स्य पालन…
अधिकारी स्वयं सोलर लगाबथि, तखने आम लोक कें प्रेरणा भेटत : डीएम
सोलर अपनाउ, सब्सिडी पाउ : पीएम सूर्य घर योजनाक लेल डीएमक निर्देश जन-जन धरि पहुंचत पीएम सूर्य घर योजना, जागरूकता शिविरक होयत आयोजन मधुबनी। पीएम सूर्य घर योजनाक प्रभावी क्रियान्वयन आ बेसी सं बेसी लोक कें एहि योजनाक लाभ पहुंचाबयक उद्देश्य सं जिलाधिकारी आनंद…
मुरादपुर मे तीन दिवसीय श्रीकृष्ण जन्माष्टमी महोत्सवक तैयारी तेज
नोहट्टा, सहरसा। प्रखंड अंतर्गत मुरादपुर पंचायत मे श्रीकृष्ण जन्माष्टमी महोत्सव कें लए तैयारी तेज कए देल गेल अछि। श्रीकृष्ण पूजा समितिक बैसार आयोजित कए पूर्वक भांति एहि बरख सेहो भव्य कार्यक्रम आयोजित करबाक निर्णय लेल गेल। बैसारक अध्यक्षता समितिक अध्यक्ष…
विद्यार्थी सहयोग पोर्टल सं आब छात्र सभक समस्याक होयत त्वरित समाधान
जननायक कर्पूरी ठाकुर छात्रावास मे पहिल शिविर आयोजित, डीएम केलनि शुभारंभ, 30 दिन मे समस्याक समाधानक प्रावधान सहरसा। विद्यार्थी सभक शैक्षणिक आ छात्रावास सं संबंधित समस्याक त्वरित, पारदर्शी आ प्रभावी समाधानक उद्देश्य सं मंगलदिन जननायक कर्पूरी ठाकुर…
शिविर मे ग्रामीण कें देल गेल डिजिटल बैंकिंग आ ऋण योजनाक जानकारी
सीतामढ़ी। दि सेंट्रल को-ऑपरेटिव बैंक लिमिटेडक मेहसौल शाखा विस्तार पटल आ नाबार्डक सहयोग सं रीगा प्रखंडक साखी गांव मे एक दिवसीय फ्लैप कैंप आ निःशुल्क स्वास्थ्य जांच शिविरक आयोजन कएल गेल। कार्यक्रमक नेतृत्व शाखा प्रबंधक रूपेश कुमार केलनि। ओ कहलनि जे…
स्वास्थ्य मंत्री निशांत सीतामढ़ी आ शिवहरक पार्टी पदाधिकारी सभ सं कएलनि भेंट
संगठन कें लए कए भेल चर्चा सीतामढ़ी, समदिया बिहार सरकारक स्वास्थ्य मंत्री निशांत सोमदिन सीतामढ़ी आ शिवहर जिलाक पार्टी पदाधिकारी सभ सं औपचारिक भेंट कए हुनकर कुशल-क्षेम पुछलनि। एहि दौरान दुनू जिलाक संगठनात्मक गतिविधि आ अन्य महत्वपूर्ण विषय पर…
दरभंगा एयरपोर्ट पर दिल्ली-मुंबईक उड़ान रद्द, एयरपोर्ट पहुंचल यात्र सभ कें लौटय पड़ल घर
दरभंगा। दरभंगा एयरपोर्ट सं सोमदिन दिल्ली आ मुंबई लेल संचालित स्पाइसजेटक उड़ान रद्द रहल, जाहि सं एयरपोर्ट पहुंचल यात्रु सभ कें वापस लौटए पड़ल। सोमदिन मात्र छह विमानक आवागमन भेल। अकासा एयरक उड़ान सभ निर्धारित समय सं पहिने पहुंचल, जखनकि इंडिगोक उड़ान…