भारत- नेपाल सीमा जिला समन्वय समितिक बैसार आयोजित
अंतरराष्ट्रीय सीमा क्षेत्र मे विधि व्यवस्था सुदृढ़ रखबाक आ सीमा सुरक्षा पर भेल चर्चा सीतामढ़ी, समदिया नेपालक महोत्तरी जिला स्थित जलेश्वर नगरपालिकाक सभाकक्ष मे भारत-नेपाल सीमा क्षेत्र सं संबंधित विभिन्न महत्वपूर्ण विषय पर विचार-विमर्श लेल…
मधुबनी मे जाम सं लोक परेशान: पार्किंगक कमी सं मालगोदाम, चौभच्चा चौक आ 13 नंबर गुमती पर समस्या
मधुबनी। मधुबनी शहर मे जामक समस्या गंभीर बनल अछि। चौभच्चा चौक सं लए रेलवे स्टेशन रोड धरि दिन भरि वाहनक लंबा कतार देखल जा रहल अछि। यातायात पुलिसक तैनाती आ वन-वे व्यवस्था रहितो लोक कें जाम सं राहति नहि भेटि रहल अछि। जामक एकटा प्रमुख कारण मालगोदाम मार्ग पर…
2030 धरि बिहार मे 13 एयरपोर्टक लक्ष्य, बीरपुर सं सोनपुर धरि बदलत हवाई संपर्क
सरकार पहिल चरण मे 6 एयरपोर्ट विकसित करबाक दिस काज कए रहल पटना। सड़क संपर्कक बाद आब बिहारक छोट शहर सभ कें हवाई सेवा सं जोड़बाक तैयारी तेज भए गेल अछि। राज्य सरकारक योजनाक अनुसार वर्ष 2030 धरि बिहार मे 13 एयरपोर्ट कें कार्यशील करबाक लक्ष्य…
कोसी पर बनत हाई डैम, केंद्रीय वित्त मंत्री डीपीआर तैयार करबाक देलनि निर्देश
मुख्यमंत्री शुक्रदिन नई दिल्ली मे वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण आ विदेश मंत्री एस. जयशंकर सं भेंट केलनि पटना, समदिया कोसी नदी पर हाई डैम (उच्च स्तरीय बांध) परियोजनाक काज मे तेजी आबि गेल अछि। एहि परियोजनाक डीपीआर शीघ्र तैयार कएल जाएत आ परियोजनाक काज आगू…
सुपौल मे ट्रेन सं खसि कए 40 वर्षीय मजदूरक मृत्यु: थुमहा मे रेलवे पुलक नीचा भेटल शव
बाथरूम जायबाक दौरान दुर्घटना सुपौल। सुपौल केर पिपरा थाना क्षेत्रक थुमहा मे ट्रेन सं खसल एक मजदूरक मौत भए गेल। घटना थुमहा वार्ड नंबर-7 स्थित राम टोली सं थुमहा बाजार जायबला सड़क पर रेलवे क्रॉसिंग पुल लग भेल। मृतकक पहचान त्रिवेणीगंज थाना क्षेत्रक…
मधेपुरा मे बच्चा सभ निकाललनि प्रभातफेरी, युवा सभ कें कएलनि जागरूक
नशामुक्त गाम बनेबाक लेल लेलनि संकल्प मधेपुरा। मधेपुराक मठाही पंचायत स्थित बैरवा गाम मे नशामुक्त समाज निर्माणक लेल जागरूकता प्रभातफेरी निकालल गेल। एहि मे उत्क्रमित मध्य विद्यालय बैरवाक छात्र-छात्रा, शिक्षक, पंचायत प्रतिनिधि आ ग्रामीण लोक भाग…
लोक अदालत कें लए कए व्यवहार न्यायालय बेनीपट्टी सभ थानाध्यक्षक बैसार
बेनीपट्टी, समदिया राष्ट्रीय विधिक सेवा प्राधिकरण, नयी दिल्लीक निर्देशानुसार 12 सितंबर कें व्यवहार न्यायालय, बेनीपट्टी मे राष्ट्रीय लोक अदालतक आयोजन कयल जायत। एहि लेल शुक्रदिन अनुमंडलक सभ थानाध्यक्षक संग अपर मुख्य…
सहरसा नगर निगम मे योजना पर उठल सवाल, गड़बड़ीक जांच लेल पहुंचल चारि सदस्यीय टीम
तीन सं चारि करोड़ टाकाक काज मे गड़बड़ीक आरोप सहरसा नगर निगम मे सरकारी राशि दुरुपयोग, वित्तीय अनियमितता आ निविदाक शर्तक उल्लंघनक आरोपक जांच लेल नगर विकास एवं आवास विभागक चारि सदस्यीय उच्चस्तरीय टीम शुक्रदिन सहरसा पहुंचल। टीम नगर आयुक्तक…
एहि पार मिथिला, ओहि पार मिथिलाक संबंध आर होयत प्रगाढ़, नेपाल मे भारतीय बेटी कें नागरिकता भेटब भेल आसान
नव नियमक अंतर्गत देबय पड़त 5 जरूरी दस्तावेज अररिया, समदिया दू देशक प्रशासन एकटा महत्वपूर्ण पहल कएलक अछि। सीमा पार विवाहक बाद महिलाक नागरिकता आ जरूरी पहचान पत्र बनबैत समय होमयबला जटिलता दूर करबाक लेल भारत-नेपाल समन्वय समितिक बैठक मे विस्तृत सहमति बनल अछि।…
दुबई मे पूर्णिया आ किशनगंजक सात युवक बनल बंधक
पासपोर्ट सेहो राखि लेल गेल, रोजगारक लेल गेल छल सातो युवक पूर्णिया, समदिया मिथिलाक सात युवक दुबई मे बंधक बनल छथि। हुनका सभक गोहारि अछि जे हुनका सभ कें सकुशल मुक्त कराओल जाय। जानकारीक अनुसार रोजगारक नाम पर पूर्णिया आ किशनगंजक सात युवक एजेंटक…