रामचरितमानस पर आधारित 108 मीटर लम्बा मिथिला पेंटिंग बनल विश्व रिकॉर्ड, डीएम कें भेटल मेडल
मधुबनी। स्वतंत्रता दिवसक अवसर पर मधुबनी मिथिला कला आ संस्कृतिक क्षेत्र मे नव विश्व कीर्तिमान स्थापित कएलक अछि। रामचरितमानस पर आधारित 108 मीटर लम्बा विशाल मिथिला पेंटिंग विश्व रिकॉर्ड कायम कएलक अछि। एहि भव्य कलाकृति मे रामायणक संपूर्ण गाथा कें पारंपरिक…
पाटलिपुत्र सं पूर्णिया धरि 17 अगस्त सं चलत नाइट स्पेशल ट्रेन, सहरसा मे 30 मिनट ठहराव; कोसी-सीमांचल कें राहति
पटना। बिहारक कोसी आ सीमांचल क्षेत्र मे कनेक्टिविटी बढ़ेबाक लेल पैघ कदम उठाओल गेल अछि। रेलवे पाटलिपुत्र जंक्शन सं सहरसा होइत पूर्णिया कोर्ट धरि नव रात्रिकालीन स्पेशल ट्रेन चलाबयक अधिसूचना जारी कएलक अछि। ई ट्रेन 17 अगस्त सं 16 सितंबर धरि सप्ताह मे 5…
एलिवेटेड रोड आ आरओबी सहित दरभंगाक पैघ परियोजना सभक समीक्षा, भूमि अधिग्रहणक अड़चन दूर करबाक निर्देश
पटना। पथ निर्माण मंत्री इंजीनियर शैलेंद्र रवि दिन कहलनि जे मुख्यालय स्तर सं सड़क परियोजना सभक निगरानी कएल जाए। दरभंगाक महत्वपूर्ण सड़क परियोजना सभक अपन कक्ष मे समीक्षा करैत ओ ई बात कहलनि। बैठक मे भाजपा प्रदेश अध्यक्ष संजय सरावगी, पथ निर्माण विभागक सचिव…
मुख्य चुनाव आयुक्त ज्ञानेश कुमार पहुंचलाह मिथिला हाट, कएल गेलनि भव्य स्वागत
बिहार सं देशभरि मे शुरू होयत इलेक्ट्रॉल एजुकेशन 2.0 : ज्ञानेश कुमार पटना/ झंझारपुर, समदिया भारत निर्वाचन आयोगक मुख्य चुनाव आयुक्त ज्ञानेश कुमार रविदिन सं दू दिवसीय बिहार दौरा पर छथि। हुनकर संग निर्वाचन आयोगक उच्चस्तरीय प्रतिनिधिमंडल…
नीतीश कुमार पहुंचलाह श्री बैकुंठनाथ धाम, मंदिर मे कएलनि पूजा-अर्चना
पटना। बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री नीतीश कुमार रवि दिन खुसरूपुर स्थित ऐतिहासिक श्री गौरीशंकर बैकुंठनाथ धाम मंदिर पहुंचलाह। नीतीश कुमार एतय भगवान भोलेनाथक दरबार मे पूजा-अर्चना कएलनि। मंदिर पहुंचिते ओतय उपस्थित स्थानीय लोक आ जेडीयू कार्यकर्ता सभ हुनकर जोरदार…
झंझारपुरक 11 वर्षीय साहित्यकार आदर्श भारद्वाजक नाम नेशनल बुक ऑफ वर्ल्ड रिकॉर्ड मे दर्ज
झंझारपुर (मधुबनी)। झंझारपुरक 11 वर्षीय बाल साहित्यकार आदर्श भारद्वाजक नाम ‘नेशनल बुक ऑफ वर्ल्ड रिकॉर्ड’ मे दर्ज भेल अछि। हुनकर असाधारण रचनात्मकता आ कतेको चर्चित कृति लेल हुनका ई सम्मान भेटल अछि, जाहि सं मिथिलांचलक गौरव बढ़ल अछि। स्वतंत्रता दिवसक…
पेपर लीक आ सिवान गोलीकांडक विरुद्ध 19 अगस्त कें राजभवन मार्च करताह : तेजस्वी यादव
पटना। राजदक राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष एवं बिहार विधानसभा मे विपक्षक नेता तेजस्वी यादव बिहार मे पेपर लीक, रोजगार आ सिवान मे छात्र सभ पर गोली चलाओल गेलाक घटना कें लए राज्य सरकार पर निशाना साधलनि। तेजस्वी यादव मीडिया सं गप्प करैत कहलनि जे एहि…
आजुक ई पेपर
कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
खेग्रामसक दू दिवसीय दिन-राति सत्याग्रह आंदोलन समाप्त
10 दिन मे मांगक समाधान नहि भेल तं अनिश्चितकालीन घेरा डालो, डेरा डालो आंदोलनक चेतावनी जयनगर, समदिया अखिल भारतीय खेत एवं ग्रामीण मजदूर सभा (खेग्रामस)क आह्वान पर गरीब, भूमिहीन आ महादलित परिवारक 15 सूत्री मांग कें लए कए 13-14 अगस्त कें…
बिहार पुलिस कें भेटल 18 पुलिस पदक, इंस्पेक्टर अफसर हुसैन कें गैलंट्री मेडल
दू अधिकारी कें राष्ट्रपति पदक पटना। स्वतंत्रता दिवसक अवसर पर केंद्रीय गृह मंत्रालयक दिस सं बिहार पुलिस कें कुल 18 पुलिस पदक प्रदान कएल गेल अछि। एहि मे इंस्पेक्टर मोहम्मद अफसर हुसैन कें वीरताक लेल गैलंट्री मेडल देल गेल अछि, जखनकि आईजी संजय कुमार आ…
