पांच दिवसीय बैंकिंग कार्य सप्ताहक मांग पर पटना मे बैंककर्मीक धरना
28 सं 30 सितंबर धरि जारी रहत हड़ताल पटना। यूनाइटेड फोरम ऑफ बैंक यूनियंस (यूएफबीयू)क राष्ट्रव्यापी आह्वान पर बुध दिन पटना मे बिहारक बैंक कर्मचारी आ अधिकारी सभ राज्यस्तरीय धरना-प्रदर्शन कएलनि। एहि मे पांच दिवसीय बैंकिंग कार्य सप्ताह लागू…
जेडीयू कार्यालयक बाहर बीयूएचएस अभ्यर्थीक प्रदर्शन
स्वास्थ्य मंत्री सं भेट करबाक संग 10 सूत्री मांग कें लए घेरलक गेट फोटो 202 पटना। पटना मे बीयूएचएस अभ्यर्थी सभ बुध दिन अपन 10 सूत्री मांग कें लए जेडीयू कार्यालयक बाहर प्रदर्शन कएलनि। प्रदर्शन मे अभ्यर्थी सभ कार्यालयक गेट घेरि देलनि आ स्वास्थ्य…
पटना मे हांगकांग लिखल हैंड ग्रेनेड बरामद,315 बोरक 5 गोली सेहो जब्त
2 युवक गिरफ्तार शीतला मंदिर ओवरब्रिजक लग पुलिस पकड़लक फोटो 201 पटना। अगमकुआं थाना क्षेत्र मे हैंड ग्रेनेड भेटल अछि। पुलिस 2 युवक कें गिरफ्तार कएलक अछि। तलाशी के दौरान 315 बोरक 5 जिंदा गोली भेटल अछि। बरामद सामानक जांच लेल बम निरोधक दस्ता कें…
घर मे सुति रहल नाबालिग छात्रा पर तेजाब फेकल गेल, कटिहार मे सनसनी, पुलिस जांच मे जुटल
कटिहार, समदिया जमुई जिलाक वायरल वीडियो कांड सं पूरा देशक लोकक मोन मे आक्रोश अछि। छात्रा आ छात्रक संग भेल दरिंदगी आ वहशीपनक घटनाक आरोपितक विरुद्ध लोक कड़ा सं कड़ा सजा देबाक मांग कए रहल छथि। एहि बीच बिहार मे एकटा आरो गंभीर घटना सामने आयल अछि। कटिहार जिला…
जमुई घटना: मोरल पुलिसिंग नहि, ई गुंडागर्दी अछि
सच्चिदानंद सच्चू सभ्य समाजक पहिल पहिचान की अछि? कानूनक सम्मान, दोसरक स्वतंत्रताक आदर आ कमजोरक सुरक्षा। मुदा जखन समाज मे किछु लोक स्वयं के कानून सं ऊपर बुझए लगैत अछि, तखन ओहि समाजक सभ्यताक बुनियाद पर प्रश्नचिह्न ठाढ़ भए जाइत अछि। जमुई मे दू नाबालिग…
टीआरई-4 मे 32,388 शिक्षक पद पर बहाली, 25 सितंबर सं आवेदन; बीपीएससीक नव विज्ञापन जारी
पटना, समदिया बिहार लोक सेवा आयोग (बीपीएससी) टीआरई-4 केर अंतर्गत 32,388 पद पर विद्यालय अध्यापकक नियुक्ति लेल नव विज्ञापन जारी केलक अछि। एहि भर्ती लेल अभ्यर्थी 25 सितंबर 2026 सं ऑनलाइन आवेदन कए सकताह। आवेदन जमा करबाक अंतिम तिथि 26 अक्टूबर 2026 निर्धारित…
आजुक ई पेपर
कृपया एतय क्लिक करी 23-09-2026
भवन निर्माण निगमक जीएमक ठिकाना पर ईओयू रेड
गहना, बैंक इन्वेस्टमेंट, कतेको लग्जरी गाड़ीक कागज भेटल पटना-नालंदा मे छापेमारी पटना। बिहार राज्य भवन निर्माण निगम लिमिटेडक महाप्रबंधक (तकनीकी) कमलेश कुमारक विरुद्ध आय सं बेसी संपत्तिक मामिला मे आर्थिक अपराध इकाई (ईओयू) बुध दिन भोर मे पैघ कारबाइ…
बिहार एमएलसी चुनावक घोषणा : 23 अक्टूबर कें मतदान, 4 स्नातक आ 4 शिक्षक सीट पर चुनाव
29 सितंबर कें जारी होयत अधिसूचना, 27 अक्टूबर कें आओत परिणाम पटना, समदिया बिहार विधान परिषदक स्नातक आ शिक्षक निर्वाचन क्षेत्रक 8 सीट लेल चुनावक घोषणा कए देल गेल अछि। भारत निर्वाचन आयोग द्वारा जारी कार्यक्रमक अनुसार 4 स्नातक आ 4 शिक्षक…
जमुई कांडक मुख्य आरोपीक हाफ एनकउंटर, पुलिस कें देखिते चलबय लागल छल गोली
फ्लायर जमुई कांडक मुख्य आरोपीक हाफ एनकउंटर, पुलिस कें देखिते चलबय लागल छल गोली पुलिस पैर मे गोली मारि मुख्य आरोपी कें पकड़लक अखन धरि सात आरोपीक भए चुकल अछि गिरफ्तारी वीडियो बनौनिहार आ वायरल केनिहारक सेहो कएल जा रहल अछि तलाश फोटो : जमुई जमुई, समदिया जमुई…
