खगड़िया मे सीएनजी पर्यटक बस मे लागल आगि, 3 सिलेंडर भेल बलास्ट
65 यात्री सभक सामान जरल टायर जरबाक सन गंध अयलाक बाद पसरल धुआं खगड़िया। खगड़ियाक मानसी थाना क्षेत्र मे एनएच-31 पर अनिल लाइन होटल लग शनि भोर मे सिलीगुड़ी सं गया जी जा रहल सीएनजी पर्यटक बस मे आगि लागि गेल। बस मे करीब 65 यात्री सवार छलाह। सभ…
सुपौल मे बढ़ल कोसीक जलस्तर, बराज सं 3.16 लाख क्यूसेक पानि छोड़ल गेल
60 सं बेसी गाम मे घुसल बाढ़क पानि मिथिला सहित उत्तर बिहारक नदी सभक जलस्तर बढ़ि रहल अछि फोटो 103 सुपौल। सुपौल सं सटल नेपाल मे लगातार भए रहल बरखाक कारण कोसी नदीक जलस्तर बढ़ि रहल अछि। शनि दिन भोरे 7 बजे कोसी बराज सं 3,16,795 क्यूसेक पानि डिस्चार्ज…
राज्य मे भारी बरखाक अलर्ट, मुख्य सचिव कयलनि उच्चस्तरीय बैठक
17 जिला पर विशेष नजरि पटना। बिहार मे भारी बरखाक संभावना कें देखैत विशेष सतर्कता बरतल जा रहल अछि। नेपालक तराइ इलाका मे गंडक नदीक कैचमेंट एरिया मे भए रहल भारी बरखाक मद्देनजर बिहार सरकार प्रशासन कें अलर्ट मोड मे रहबाक निर्देश देने अछि। संभावित…
दरभंगा मे सड़क पर खसल विशाल गाछ: सुपौल-दरभंगा मुख्यपथ पर 1 किलोमीटर लंबा जाम, बरखा सं जड़ि भए गेल छल कमजोर
दरभंगा। दरभंगा मे पिछला 3 दिन सं बरखा भए रहल अछि। शुक्रदिन बरखा के बीच सुपौल-दरभंगा मुख्यपथ पर सिसौनी चौक लग एकटा विशाल गाछ खसि पड़ल। जाहि कारणे सड़क पर यातायात बाधित भए गेल। करीब 1 किलोमीटर सं बेसी लंबा जाम लागि गेल। बस, ट्रक, ऑटो आ बाइक सहित पैघ…
डीएमसीएच मे 2 दिन सं डॉक्टर सभक हड़ताल, 1 घंटा खुजल रजिस्ट्रेशन
फेर पीजी डॉक्टर सभ बंद करौलनि सुरक्षा-हॉस्टल सुधार सहित कतेको मांग दरभंगा। डीएमसीएच के इमरजेंसी मे बुध राति करीब 11 बजे सं जारी चिकित्सक सभक हड़ताल शुक्रदिन सेहो जारी रहल। इमरजेंसी सेवा प्रभावित रहबाक कारण दरभंगा के अलावा मधुबनी, समस्तीपुर, सहरसा,…
पटना मे प्रदर्शनकारी सभ पर वाटर कैनन सं पानिक बौछार, सांसद पप्पू यादव सेहो भीजलाह
निर्वाचन आयोग कार्यालय घेरबाक लेल निकलल छलाह पटना। एसआईआर आ मतदाता सूची सं जुड़ल मुद्दा सभके लए शुक्रदिन पटना मे कांग्रेस विरोध मार्च निकाललक। पार्टीक कार्यकर्ता सभ आर. ब्लॉक स्थित चाणक्य होटल लग सं मार्च करैत राज्य निर्वाचन आयोगक कार्यालय दिस बढ़लाह।…
सुरक्षित रोजगार आ प्रवासन लेल मिथिला हाट मे क्षेत्रीय स्तरीय परामर्श कार्यशाला
सुरक्षित रोजगार मार्गदर्शिका कें बेसी प्रभावकारी बनेबाक लेल भेल विचार-विमर्श झंझारपुर, समदिया घोघरडीहा प्रखंड स्वराज्य विकास संघ द्वारा डब्ल्यूएचएच-ईयू समर्थित परियोजनाक अंतर्गत बृहस्पति कें अररिया संग्राम स्थित मिथिला हाट मे सुरक्षित…
आफत बनि बरसि रहल बादल, समस्तीपुर मे गाछ खसला सं तीन बच्ची मरल
– अखन 27 सितंबर धरि अहिना रहत मौसिम, उफनय लागल अछि कोसी आ बागमती – लगातार भए रहल बरखा सं शहर सबहक स्थिति भेल नारकीय, जगह-जगह जल भराव सं लोक परेशान पटना, समदिया राज्य मे लगातार बरखाक असरि आब जनजीवन पर स्पष्ट देखाइ पड़ि रहल…
सिमरी मे दस दिवसीय इंद्र पूजाक कलश शोभायात्रा संग शुभारंभ
101 कन्या निकाललनि कलश शोभायात्रा, पूरा क्षेत्र भक्तिमय बिस्फी, समदिया बिस्फी प्रखंड क्षेत्रक सिमरी गाम मे आयोजित दस दिवसीय इंद्र पूजा बुधदिन कलश शोभायात्राक संग शुभारंभ भेल। पूजा समिति द्वारा 101 कन्याक सहभागिता मे भव्य कलश…
देश भरि मे जिला मुख्यालय पर 29-30 सितंबर कें 24 घंटाक धरना
दयानंद झा कहलनि जे भाजपा सरकार पेंशनर्स फेडरेशनक कर्मचारी सभक संग छलावा कए रहल अछि मधुबनी, समदिया अखिल भारतीय राज्य सरकारी पेंशनर्स फेडरेशनक राष्ट्रीय आह्वान पर बुधदिन बिहार राज्य कर्मचारी महासंघक कार्यालय मे बैसार आयोजित कएल गेल। बैठकक…