मुख्य चुनाव आयुक्त ज्ञानेश कुमार पहुंचलाह मिथिला हाट, कएल गेलनि भव्य स्वागत
बिहार सं देशभरि मे शुरू होयत इलेक्ट्रॉल एजुकेशन 2.0 : ज्ञानेश कुमार पटना/ झंझारपुर, समदिया भारत निर्वाचन आयोगक मुख्य चुनाव आयुक्त ज्ञानेश कुमार रविदिन सं दू दिवसीय बिहार दौरा पर छथि। हुनकर संग निर्वाचन आयोगक उच्चस्तरीय प्रतिनिधिमंडल…
झंझारपुरक 11 वर्षीय साहित्यकार आदर्श भारद्वाजक नाम नेशनल बुक ऑफ वर्ल्ड रिकॉर्ड मे दर्ज
झंझारपुर (मधुबनी)। झंझारपुरक 11 वर्षीय बाल साहित्यकार आदर्श भारद्वाजक नाम ‘नेशनल बुक ऑफ वर्ल्ड रिकॉर्ड’ मे दर्ज भेल अछि। हुनकर असाधारण रचनात्मकता आ कतेको चर्चित कृति लेल हुनका ई सम्मान भेटल अछि, जाहि सं मिथिलांचलक गौरव बढ़ल अछि। स्वतंत्रता दिवसक…
खेग्रामसक दू दिवसीय दिन-राति सत्याग्रह आंदोलन समाप्त
10 दिन मे मांगक समाधान नहि भेल तं अनिश्चितकालीन घेरा डालो, डेरा डालो आंदोलनक चेतावनी जयनगर, समदिया अखिल भारतीय खेत एवं ग्रामीण मजदूर सभा (खेग्रामस)क आह्वान पर गरीब, भूमिहीन आ महादलित परिवारक 15 सूत्री मांग कें लए कए 13-14 अगस्त कें…
उत्तराखंडक भाजपा सरकारक विरोध मे कांग्रेसकर्मी सभक शहीद स्मारक पर प्रदर्शन
सीतामढ़ी, समदिया हल्द्वानीक रामलीला मैदान मे कांग्रेसक राष्ट्रीय अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खरगेक रैलीक बाद भाजपा समर्थित संगठन द्वारा गंगाजल सं शुद्धीकरण कार्यक्रम कें लए कए विवाद गहींर भए गेल अछि। सीतामढ़ी जिला कांग्रेस कमिटीक अध्यक्ष अमित कुमार…
दरभंगा तारामंडल मे अंतरिक्ष विज्ञानक नवाचार केंद्रक स्थापना लेल अंतरिक्ष आयोगक सहमति
दरभंगा। दरभंगाक प्राचीन शैक्षणिक गरिमा आ ज्ञान परंपराक विरासत कें जीवंत करबाक लेल केंद्रक मोदी सरकार प्रतिबद्ध अछि। दरभंगा तारामंडल मे अंतरिक्ष गैलरी आ अंतरिक्ष नवाचार केंद्रक स्थापना लेल भारतीय अंतरिक्ष आयोग द्वारा सहमति प्रदान कएल गेल अछि। आब आगूक…
मधुबनी मे उत्पाद विभागक छापेमारी, 9 गिरफ्तार : 102 स्थान पर कारबाइ मे 350 लीटर देसी शराब जब्त
मधुबनी। मधुबनी उत्पाद विभाग बृहस्पति दिन जिलाभरि मे शराबक अवैध कारोबार आ सेवनक विरुद्ध विशेष अभियान चलौलक। एहि दौरान 102 अलग-अलग स्थान पर छापेमारी कएल गेल, जाहि मे कुल 9 गोटे कें गिरफ्तार कएल गेल। गिरफ्तार लोक सभ मे 4 शराब तस्कर आ 5 शराब…
अज्ञात वाहनक ठोकर सं बाइक सवार व्यक्तिक मृत्यु
एनएच-107 पर भेल हादसा, पुलिस शव पोस्टमार्टम लेल पठौलनि 301 सिमरी बख्तियारपुर, सहरसा/समदिया सिमरी बख्तियारपुर थाना क्षेत्रक बलवाहाट-सिमरी बख्तियारपुर एनएच-107 पर भौरा गामक समीप बुध देर सांझ अज्ञात वाहनक ठोकर सं बाइक सवार एक व्यक्ति गंभीर रूप…
9 सूत्री मांग लए कए खेग्रामसक दू दिवसीय सत्याग्रह आंदोलन शुरू
सैकड़ो गरीब-मजदूर भेलाह शामिल बेनीपट्टी, समदिया गरीब, भूमिहीन, ग्रामीण मजदूर, किसान आ वंचित परिवारक अधिकार कें लए कए अखिल भारतीय खेत एवं ग्रामीण मजदूर सभा (खेग्रामस) केर राज्यव्यापी आह्वान पर 13 अगस्त 2026 कें प्रखंड-सह-अंचल कार्यालय,…
मधुबनी मे बिजली व्यवस्था होयत आरो मजबूत
डीएम विद्युत पदाधिकारी सभक संग कएलनि समीक्षा 404 मधुबनी, समदिया जिला पदाधिकारी आनंद शर्मा जिला मे बढ़ैत विद्युत मांग आ शहरी क्षेत्रक विद्युत आपूर्ति व्यवस्था कें लए कए विद्युत कार्यपालक अभियंता संग समीक्षा बैसार कएलनि। बैसार मे विद्युत लोडक…
झंझारपुर अनुमंडल प्रशासन निकाललक तिरंगा यात्रा
हर घर तिरंगा अभियान मे एसडीएम टोनी कुमारीक नेतृत्व मे निकलल तिरंगा यात्रा झंझारपुर, समदिया स्वतंत्रता दिवसक अवसर पर हर घर तिरंगा अभियानक अंतर्गत बृहस्पति कें अनुमंडल प्रशासन द्वारा शहर मे भव्य तिरंगा यात्रा निकालल गेल। ई तिरंगा…