रामधनी घाट पर आयोजित भेल गंगा आरती
श्रद्धालु आ कार्यकर्ता सभके सांसद देलनि स्वच्छताक संदेश दरभंगा। सेवा संकल्प महाअभियानक अंतर्गत भाजपाक दिस सं चलाओल जा रहल सेवा पखवाड़ाक अंतर्गत जिला गंगा समितिक दिस सं बुधवारक सांझ शुभंकरपुर स्थित बागमती तट पर रामधनी घाट मे भव्य गंगा आरतीक आयोजन…
एसएच-88 पर यातायात नियमक पालन लेल लोक कें कएल गेल जागरूक
बेनीपुर, समदिया प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक जन्मदिवसक अवसरपर आयोजित सेवा-संकल्प-समर्पण महा-अभियानक अंतर्गत दरभंगा पूर्वी जिला भाजपाक दिस सं अंटौर मे एसएच-88 पर सड़क सुरक्षा जागरूकता अभियान चलाओल गेल। एहि दौरान राहगीर आ वाहन चालक सभ कें…
डॉ. भास्कर ज्योति कें भेटलनि मैसाम युवा सम्मान, डॉ. रामानंद झा रमणक भेल व्याख्यान
नई दिल्ली/सहरसा, समदिया मैथिली भाषा, साहित्य आ संस्कृतिक संरक्षण, संवर्धन आ प्रसार लेल समर्पित संस्था मैथिली साहित्य महासभा (मैसाम), दिल्ली द्वारा रविदिन कॉन्स्टिट्यूशन क्लब ऑफ इंडिया, नई दिल्ली मे 12म विद्यापति स्मृति एकल व्याख्यान आ मैसाम…
साहित्यकार धीरेंद्रक चुनल रचनासभक एकत्र संचयन प्रकाशित
मधेपुरा, समदिया बीएन मंडल विश्वविद्यालयक पीजी मैथिली विभाग मे साहित्य अकादमी द्वारा प्रकाशित आ शिवशंकर निवास एवं अतुलेश्वर झा द्वारा संपादित पुस्तक धीरेंद्र : रचना संचयनक लोकार्पण कार्यक्रम आयोजित कएल गेल। कार्यक्रमक अध्यक्षता…
23 खेल विधा मे उत्कृष्ट प्रदर्शन कएनिहार खेलाड़ी प्रमंडलीय प्रतियोगिता लेल चयनित
सहरसा, समदिया जिला स्तरीय तीन दिवसीय विद्यालय खेलकूद प्रतियोगिताक समापन बृहस्पति कें भेल। एहि दौरान पुलिस लाइन मैदान, पटेल मैदान, जिला स्कूल मैदान, इंडोर स्टेडियम आ खेल भवनक व्यायामशाला मे एक संग विभिन्न खेल प्रतियोगिता आयोजित कएल गेल। तीन दिन धरि…
आजुक ई पेपर
कृपया एतय क्लिक करी 1-10-2026
विज्ञान संगोष्ठी मे ऊर्जा भविष्य पर विद्यार्थीक विचार
सहरसा, समदिया स्थानीय सुपर मार्केट स्थित प्रमंडलीय पुस्तकालय मे विज्ञान संगोष्ठी-2026 आयोजित भेल। संगोष्ठीक विषय भारतीय ऊर्जा परिदृश्य-2047 : संभावना आ चुनौती रहल। एहि दौरान विभिन्न विद्यालयक विद्यार्थी सभ नवीकरणीय ऊर्जा, ऊर्जा सुरक्षा, जीवाश्म…
सीएमओ सं हटाओल गेला नीतीशक करीबी दीपक कुमार
आपदा प्रबंधन प्राधिकरणक बनाओल गेला उपाध्यक्ष पटना, समदिया बिहार सरकार वरिष्ठ आइएएस अधिकारी दीपक कुमारक जिम्मेवारी मे बदलाव केलक अछि। हुनका मुख्यमंत्रीक प्रधान सचिव पद सं हटा कए बिहार राज्य आपदा प्रबंधन प्राधिकरणक उपाध्यक्ष नियुक्त कएल गेल…
30 वाटर कैनन आ 86 वज्र वाहन किनत सम्राट सरकार
उपद्रवी तत्व सावधान! 30 वाटर कैनन आ 86 वज्र वाहन किनत सम्राट सरकार सम्राट कैबिनेटक बैसार मे कुल 30 प्रस्ताव पर लागल मोहर फोटो : सम्राट पटना, समदिया धरना-प्रदर्शन आ आंदोलनक समय कानून-व्यवस्था बनौने रखबाक लेल बिहार सरकार तैयारी तेज कए देलक अछि।…
खगड़ियाक सरकारी स्कूलक सीढ़ी टूटल, दू छात्राक मृत्यु
तीन बच्ची अछि घायल, चलि रहल अछि इलाज फोटो : खगड़िया खगड़िया, समदिया मानसी थाना क्षेत्रक अमनी गाम स्थित जटाधर मिश्र प्राथमिक विद्यालय, पासवान टोला मे बुधदिन अनचोके सीढ़ी ध्वस्त भए गेल। सीढ़ीक मलबा मे दबि गेला सं 9 वर्षीया छात्रा रीतिका कुमारीक…
